व्यापारि आ गदहा
The Merchant and the Donkey
ई कथा एकटा सुस्त गदहा आ एकटा नूनक बेपारीक छैक। एकबेर बेपारी नून किनलक आ ओकरा गदहाक पीठ पर लादि देलकै, आ आपिस जाइत काल एकटा नदी पार केलक। अचानक गदहा लड़खडायल आ नदी मे खसि पड़ल; बाहर निकलला पर गदहाक बोझ कम भ' गेलै। ई बूझि क', गदहा अपन बोझ कम करबाक लेल चलाकी करए आ बेर-बेर नदी मे खसि पड़ैत छल। ई बात देखि क' बेपारी कपास किनलक आ गदहाक पीठ पर लादि देलक। गदहा फेर सँ वैह चालि चललक, मुदा एहि बेर ओकर बोझ बेसी भारी छैक। ई कथा सिखबैत अछि जे आलसी भेनाइ खराब बात छैक।